Mithila Arts Competition


मिथिला चित्रकला मधेशक शान ।
एहिके उजागर करब शौर्यक अभियान ।।

शौर्य सिमेन्ट इण्डष्ट्रिज लिमिटेडके “शौर्य मिथिला लोक चित्रकला प्रतियोगिता २०८०” के आवेदनक विषयमे सूचना ।

शौर्य सिमेन्ट इण्डष्ट्रिज लिमिटेड एहि वर्षसँ अपन व्यवसायिक समाजीक उत्तरदायित्व अन्तर्गत मधेश प्रदेश के लक्षित कऽ “शौर्य मिथिला लोक चित्रकला प्रतियोगिता २०८०” लऽ कऽ आएल अछि । एहि प्रतियोगितामे सम्पूर्ण ईच्छुक महिला वर्गके आबेदन देबए लेल ई सूचना प्रकाशित कएलगेल अछि ।


शौर्य मिथिला चित्रकला प्रतियोगिताक विषयमे जानकारी


१. आबेदक मधेश प्रदेश के नागरिक होबक चाहि । ताहिके लेल अपन वा नागरिकताक प्रमाणपत्र वा जन्मदर्ताक प्रमाणपत्रके प्रतिलिपि समावेश कऽ आबेदन भरि सकैछि ।
. प्रतियोगितामे महिला वर्ग मात्र भाग लऽ सकैत छि ।
. १६ वर्ष पहुँच चुकल आ आहि सँ उपर उमेरके व्यक्ति मात्र आवेदन दऽ सकैत छि ।
. शौर्य मिथिला चित्रकलाके ३ चरणमे विभाजीत कएलगेल अछि ।


पहिल चरण


    पहिल चरणके प्रतियोगितामे भाग लेबए लेल हमरासभक कम्पनीके आधिकारिक वेभसाईट या फेसबुक पेज मार्फत QR Code Scan कऽ फारम भरएके सँगहि अपनाद्वारा बनाओलगेल मिथिला चित्रकलाके एक प्रति फोटो सेहो बुझाबए पडत । शौर्य सिमेन्टके वेबसाइट स डाउनलोड क​एल गेल फर्म एहि ९८०२३३५५८५ WHATSAPP नम्बर पर सेहो पठा सकैछि । अपनेसभद्वारा पठाओलगेल चित्रकलाके मुल्याङ्कन आधिकारिक मिथिला चित्रकलाके निर्णयक मण्डलसँ छनौट कऽ दोसर चरणके प्रवेश निर्धारण कएल जाएत ।


दोसर चरण

    प्रथम चरणके सम्पूर्ण सहभागीसभमेसँ उत्कृष्ट ७५ टा चित्रकलाके छनौट कएल जाएत आ हुनकासभके शौर्य सिमेन्ट उद्योगके प्रांगणमे क्यानभास (canvas) मे मिथिला चित्रकला बनाबए पडत । क्यानभास (canvas) मे बनाओलगेल चित्रकलाके मूल्याङकन कऽ ७५ गोटे सहभागीमेसँ १५ गोेटेके अन्तिम चरणके लेल छनौट कएल जाएत ।


अन्तिम चरण


    १५ गोटे अन्तिम चरणके लेल छनौट कएलगेल सहभागीसभ शौर्य सिमेन्टके उद्योग परिसरमे अवस्थित देबालपर उल्लेखित विषय अनुसार चित्रकला बनाबए पडत । उक्त १५ गोटे सहभागीमेसँ उत्कृष्ट सहभागिसभके प्रथम, द्रितिय, तृतीय सँगहि १२ गोटेके सान्त्वना पुरस्कार स्वरुप धनराशिसँ सम्मान कएल जाएत ।
प्रथम पुरस्कार रु – ७५०००
द्रितिय पुरस्कार रु – ५००००
तृतिय पुरस्कार रु – २५०००
सान्त्वना पुरस्कार रु – ५००० प्रत्येक १२ गोटेके QR Code Scan कऽ आबेदन दऽ सकैत छि ।


आबेदन देबएके अन्तिम मिती ः २०८० मंसिर ८ गते धरि ।


प्रतियोगिताके नियमसभ  :
१. सहभागी महिला वर्ग मधेश प्रदेशके नागरिक होबएपडत ।
२. कार्यक्रमक समयमे कोनो बाधा व्यवधान अएलापर कार्यक्रम सञ्चालकके मुख्य भुमिकामे समस्या समाधान कएल जाएत ।
३. कार्यक्रमके अन्तिम निर्णय निर्णायक कमिटिद्वारा हएत जे सर्बमान्य रहत ।
४. कार्यक्रम अबधि भरि कोनो समस्या अएलापर निःसंकोच आयोजक कमिटिके सुचित करए पडत ।
५. कार्यक्रम अबधि भरि सहभागी कलाकारसभसँ कोनो दुर्वव्यवहार तहिना नैतिक पतन होबएबला क्रियाकलाप कएने ठहर भेल तऽ सम्बन्धित सहभागी कलाकार स्वतः अयोग्य ठहर करैत कार्यक्रमसँ निष्काशित कएल जाएत ।
६. दोसर चरणके कार्यक्रममे सहभागि कलकारके लेल नास्ता आ भाडा प्रदान कएल जाएत ।
. अन्तिम प्रतियोगि सबके ५ दिनक रहः खायःके व्यवस्था आयोजकद्वारा उपलब्द कएल जाएत।


आबेदन देबएके तरिकासभ
१. कम्पनीके आधिकारिक वेभसाईट (www.shauryacements.com) सँ फारम भरि अपन उल्लेखीत जानकारी भरु ।
२. कम्पनीके आधिकारिक फेसबुक पेज (https://www.facebook.com/shaurya
cementindustries) मे जा कऽ उल्लेखीत QR Code Scan कऽ सेहो फारम भरि सकैछि ।
३. कम्पनीके वेभसाईट / फेसबुक अतिरीक्त अपनासँ सम्बन्धित नगरपालिका , गाँउपालिका एवं शौर्य सिमेन्टके उद्योगमे फारम बुझा सकैत छि ।


थप जानकारीक लेल निम्नलिखित ठेगानामे सम्पर्क करु


शौर्य सिमेन्ट इण्डष्ट्रिज लिमिटेड : ०१–४४४१२३५ /४४१२२५० /४५४५८२३


टोल फ्रि नम्बर – १६६००११२४४४ (नेपाल टेलिकम)  / ९८०१५७२११२ (एनसेल)


कम्पनी ब्रान्ड प्रतिनीधि –९८०२३३३०२३, ९८०२३३५५८५, ९८०१९६८६५४


प्रदेश नं.२ अन्तर्गत विक्री प्रबन्धक तथा प्रतिनिधिसभ
१.    ९८०२३३३०९३ (कम्पनी क्षेत्रीय विक्री प्रबन्धक–जनकपुर / सगरमाथा)
२.    ९८०२३३३०३८ (कम्पनी क्षेत्रीय विक्री प्रबन्धक)
३.    ९८०२३३६४८९ (सप्तरी)
४.    ९८०२३३३०१४ (सिराहा)
५.    ९८०२३३५५३६ (सिराहा)
६.    ९८०२३३३०२७ (धनुषा)
७.    ९८०१९७७९९९ (महोतरी)
८.    ९८०२३३५५८७ (सर्लाही)
९.    ९८०२३३२३५२ (बारा, पर्सा)
१०.  ९८०२३३२३५० (रौतहत)

betwoon casibom pusulabet mavibet betcio mavibet betcio betcio betcio lunabet lunabet kavbet kavbet holiganbet holiganbet betcio restbet holiganbet giriş holiganbet avrupabet giriş avrupabet casibom giriş casibom holiganbet kingroyal kingroyal kingroyal kingroyal mavibet Betcio Giriş Betcio Betcio Giriş Betcio restbet slot gacor spinco spinco meritbet kingroyal kingroyal kingroyal marsbahis giriş marsbahis